२२ बैसाख, सिरहा बिनोद ठाकुर संखुवासभा मे हेलीकॉप्टर दुर्घटनाग्रस्त भ गेल अछि। अपर अरुण जलविद्युत के सामान ल जा रहल सिमरिक एयर के हेलीकॉप्टर में दुर्घटना भेल अछि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय संखुवासभा के अनुसार घटना के विवरण अखन आबय के अछि । भोटखोला गाउँपालिका वडा नम्बर ४ के सिप्रुङमे भेल हेलीकॉप्टर दुर्घटनाके विषयमे स्थानीयसब जानकारी देने छल, मुदा विस्तृत जानकारी नहि देल गेल संखुवासभाके प्रमुख जिल्ला अधिकारी शिवकुमार कार्की बटैलै । कार्की कहलनि जे, पुलिस टीम मौका पर पठाओल गेल अछि, पुलिस टीम पहिने सं चलि गेल अछि। हेलीकॉप्टर गोला नामक स्थान सँ जलविद्युत प्रयोगशाला लेल आवश्यक माटि, पाथर आ कंक्रीट सामग्री पहुँचा रहल छल । ताहि लेल एहि परियोजना कए सिमरिक एयर क संग समझौता भ गेल छल।